Nitish Maithil
Pages
Home
About
Gallery
Reach Us
Tuesday, 25 May 2021
गामक बसलोचना
गामक बसलोचना
लिखैत अछि कविता
खेतक' पन्ना पर
कोदाइरक कलम सँ
उताईर दैत अछि
अपन परिकल्पना
उसर जमीन पर
आ फूँकि दैत छै जान
अपन घाम सँ
सिमसल एकहकटा द'ल मे।
अपन विधा मे
जेना निपुण कवि
करैत अछि
एकटा जीवंत चित्रण
अपन शब्दक वितान सँ!
© नीतीश मैथिल
No comments:
Post a Comment
Newer Post
Older Post
Home
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment