Tuesday, 25 May 2021

आसमान में जब , गिरते तारों को देखोगी ।

 आसमान में जब , गिरते तारों को देखोगी ।

बादल के पीछे चंदा के , अभिसारों को देखोगी ।
घुप्प अंधेरी रातों में जब , जुगनू तुम्हें चिढायेगी ।
तीन बजे सुबह में जब , कॉफी की तलब सतायेगी ।
तब आंखें नम कर जाऊंगा ।
हाँ याद बहुत मैं आऊँगा ।
अपने बिखरे बालों को , तुम जब कभी संवारोगी ।
अपने गर्दन के तिल को , तुम जब कभी निहारोगी ।
तेरी प्यारी हंसी पर , जब कोई तारीफ सुनायेगा ।
गुनगुन करके भँवरा , जब कोई मंडरायेगा ।
तब आंखें नम कर जाऊँगा ।
हाँ याद बहुत मैं आऊँगा ।
© नीतीश कर्ण

तुलसी लंग धाजा फहराईते हेतै ।

 तुलसी लंग धाजा फहराईते हेतै ।

अंगना के अरहुल फुलाईते हेतै ।
मोन गामे में छोड़ि एलहुँ परदेश हम ।
कतहु गाछी बिरछि में बौआइते हेतै ।
© नीतीश मैथिल

होठों पर मुस्कान सजाये

 होठों पर मुस्कान सजाये , आंखों में सुरमई हाला ।

लिड लगाये कानों में , हाथों में कॉफ़ी का प्याला ।
पलकें मींचे इठलाती , चंचल चपला इतराती ।
बड़े दिनों के बाद दिखी है , चलती फिरती मधुशाला ।
छक कर आज पीने दो मुझको , सुर-सुधा स्वप्निल हाला ।
मद ऋणि रोम रोम हो जाये ,आज पिला दो वो प्याला ।
कर लेने दो अरमां पूरी , पैमाना भर लेने दो ।
जाने फिर कब दर्शन होंगे , चलती फिरती मधुशाला ।
आंखों से होकर उतरेगा , मोहिनी रूप का जब प्याला ।
जीवंत होंगे आंखों के आगे , खजुराहो की सुरबाला ।
रूप मधुमती तेरे नखरे , जी भर के आज उठाऊंगा ।
मैं आवारा बंजारा हुँ तुम , चलती फिरती मधुशाला ।
साँसों के निज करतल ध्वनि से , गूंज रहा मन मतवाला ।
यौवन घट छलकाती फिरती , अधरों से मधुबाला ।
अंजुरियाँ भर भर के पी लूं , छोड़ के चिंता ध्येय धर्म की ।
मैं जनम जनम का प्यासा राही , तुम चलती फिरती मधुशाला ।
कितने मौसम आये गये , ना छुआ कभी मधु का प्याला ।
गम का वेग या भावुक क्षण में , ना खुला कभी मन का ताला ।
किसी खुशी में जश्न मनाने , क्यों जाऊं मदिरालय मैं ।
बालकनी में दिख जाती जब , चलती फिरती मधुशाला ।
© Nitish Maithil

जिन रातों में जग कर बोये , थे हमने कुछ स्वप्न सिंदूरी ।

 जिन रातों में जग कर बोये , थे हमने कुछ स्वप्न सिंदूरी ।

उन रातों में स्वप्निल आंखें , चुपके चुपके रो लेते हैं ।
जिन आंखों की क्यारी को , सींचा था हमने साँसों से ।
उन मुरझाये कलियों के , उपवन में हम खो लेते हैं ।
जिसके रंग में हमने , रंग डाला था अपना तनमन ।
प्रेम के गहरे दाग सभी , उस दिव्य रंग में धो लेते हैं ।
© नीतीश मैथिल

गामक बसलोचना

 गामक बसलोचना

लिखैत अछि कविता
खेतक' पन्ना पर
कोदाइरक कलम सँ
उताईर दैत अछि
अपन परिकल्पना
उसर जमीन पर
आ फूँकि दैत छै जान
अपन घाम सँ
सिमसल एकहकटा द'ल मे।
अपन विधा मे
जेना निपुण कवि
करैत अछि
एकटा जीवंत चित्रण
अपन शब्दक वितान सँ!
© नीतीश मैथिल

घूम' चाहैत छी

घूम' चाहैत छी
कश्मीर सँ कन्याकुमारी धैर तोरा संग ।
देख' चाहैत छी
ट्रेनक खिड़किक सोझा
बसात सँ झुलैत तोहर झुमका
सरियाब' चाहैत छी
उरियाइत तोहर केश
आ समेट लेब' चाहैत छि
अपन तरहत्थी पर
एक शहरक बरखा
दोसर शहरक रउदी लेल ।
खुआब' चाहैत छी तोरा
माए हाथक दैलपुरी
महसूस कर' चाहैत छि
सहटैत पायलक सर्द
आ घुलि जाए चाहैत छि
तोहर लहठिक पसरल गमक मे ।
जिब' चाहैत छि सब लोकरंग
सब विविधता
"स्माइल प्लीज" संग
क्लिक कर' चाहैत छि तोहर फोटो
केसरक बगान मे
आ छिट देब चाहैत छि तोरा पर
थोरेक सिनुरिया रंग
ललौन सुरुज सँ माँगि
कन्याकुमारिक घाट पर ।
© नीतीश मैथिल

सिरमा लग बैसल हमर निन्न

 सिरमा लग बैसल हमर निन्न

हेरैत फोनक गैलरी
बिछैत आहाँक ईयाद
ख'ने असगन्नी पर झुलैत
महसूस करैत हमर अकुलाहटि
ख'ने देखैत हमर बखराके स्वप्न
गेरुआ पर औंघाईत
© Nitish Maithil

मंजिलों के हर नये सवाल में सुकून है

 मंजिलों के हर नये सवाल में सुकून है ।

कर्म पथ पे आये हर बवाल में सुकून है ।
खौलने से ही अगर लायेगी रंग जिंदगी ।
चाय की तरह हर उबाल में सुकून है ।
© Nitish Karn

रातुक बिचला पहर

 रातुक बिचला पहर

बरेरीक करकराहट सँ
अकचकाईत हमर एकाकी
फट्टकसँ आवैत हवा में
सहटैत तोहर स्पर्श
लावणि पर
झलफलाईत तोहर बिंब
और दुरखाके सन्नाटा में
अभरैत तोहर पदचाप
ओह ! ई अधिरतिया
और बतहा मन ।
© Nitish Karn

तोहर एक नजरि हमरा लेल ।

 तोहर एक नजरि हमरा लेल ।

जेना जेठक तरासल धरती
तृप्त भेल होयक
आर्द्रा के पहिल अछार सँ' ।

मनमे अनकहल गप्प आ

 मनमे अनकहल गप्प आ

मुट्ठी में दबने हुनक न'हक चेन्ह
ल' क' चलल इ बतहा मन गंगाक ओहि पार
हमर चलिते त' सजा लितहुँ
महादेव जेकाँ माथ पर अपन गंगाके
नहि त' भागीरथ बनि उतारि लितहुँ अपन अंगना में!

मोनक सीमा रेखा

 मोनक सीमा रेखा

अनंत आकाश जेना
आ ओई अनंत सागर में
मेघक नाह पर
झिझिर कोना खेलाइत हम तौं
भुलकैत सिहरैत लहरिके झिंसी स'
हाथ धेने एक दोसरक जोर सँ कसि क' ।

जगते रहना सपने बुनना

 जगते रहना सपने बुनना

बातें करना तकिये से ।
आते जाते सांसे गिनना
प्यार में हमने ये पाया है ।
© Nitish Karn